लिंगो चैप्स अनुवाद सेवा

हम सभ भारत मे स्थित भाषा सेवा प्रदाता कंपनी छी जे सभ प्रमुख वैश्विक भाषा सभ मे ऊंच गुणवत्ताक अनुवाद, लोकलाइजेशन, सबटाइटलिंग (बहुभाषी), वॉयस-ओवर, डबिंग, डीटीपी (बहुभाषी), ट्रांसक्रिप्शन, ट्रांसक्रिएशन आओर इंटरप्रटेशन सेवाक पेशकश करबा मे विशेषज्ञता राखए छी। हम सभ भारत स्थित आओर दुनिया भरिक क्लाइंट सभ कें भाषा सेवा प्रदान करैत छी। हमरा सभक क्लाइंट मे व्यक्ति विशेष सँ ल’ कए छोट कंपनी सँ पैघ कॉरपोरेट हाउस सभ आ सरकारी एजेंसी धरि शामिल अछि।
[contact-form-7 id="14"]

नैटिव अनुवाद पेशेवर

हमरा सभक लक्ष्य

लिंगो चैप्स अनुवाद सेवाक प्राथमिक लक्ष्य अछि अपन ग्राहक सभ कें सर्वोच्च गुणवत्ताक, सस्ता भाषा सेवा उपलब्ध करैनए अछि।

हमरा सभक टीम

हमरा सभक टीम मे कानूनी, वित्तीय, मेडिकल, तकनीक और विभिन्न आन विषयक विशेषज्ञ इन-हाउस आ विदेश स्थित भाषा विशेषज्ञ शामिल छथि।

हमरा सभक टीम संग विशिष्ट सेवा

हमर टीम अहॉंक प्रोजेक्टक समय दबावक ध्यान राखैत छथि आ ई सुनिश्चित करैत अछि जे अहॉंक अनुवादित डॉक्युमेंट समय पर अथवा ओहि सँ पहिने पहुंचि जाए।

कोनो उद्योगक लेल सेवा

हम निम्न क्षेत्र सभ मे काज करै वला कंपनी सभ कें भाषा आ विषय-वस्तुक विशेषज्ञता सेवा पेश करै छी।
औद्योगिक विनिर्माण
बैंकिंग आ वित्त ईकॉमर्स
परिवहन
सार्वजनिक क्षेत्र, एयरोस्पेस, रक्षा, ऊर्जा, पेट्रोकेमिकल्स
गेमिंग
प्रौद्योगिकी
हेल्थकेयर, क्लिनीकल अनुसंधान, मेडिकल डिवाइस, फार्माश्यूटिकल आ विभिन्न आन उद्योग सभ
शिक्षा

पेशेवर सेवा

हम सर्वश्रेष्ठ सेवा प्रदान करै छी! ग्राहकक सेवा हमरा सभक प्राथमिकता अछि।

अनुवाद

लिंगो चैप्स भारत मे 150 अंतरराष्ट्रीय भाषा सभ मे सर्वश्रेष्ठ गुणवत्ताक भाषा अनुवाद सेवा उपलब्ध करै अछि जहि मे एशियाई, यूरोपीय, स्कैंडिनेवियाई, स्लाविक, मध्य पूर्वी, अफ्रीकी आदि भाषा शामिल अछि। हम भारतक ओ शीर्ष समूह मे सँ छी जे ग्राहक सभ कें यथोचित दर पर ऊंच गुणवत्ताक भाषा अनुवाद सेवाद प्रदान करै अछि।

इंटरप्रटेशन सेवा

हमरा सभ अपन ग्राहक सभ कें निम्न इंटरप्रेटिंग सेवा उपलब्ध करैत छी:
  • संग-संग इंटरप्रेटिंग
  • कन्सेक्टिव इंटरप्रेटिंग
  • ह्विस्पर्ड इंटरप्रेटिंग

मल्टीलिग्वल डेस्कटॉप पब्लिशिंग सर्विस (डीटीपी)

अहॉंक दिशा-निर्देशक पालन हेतु हमरा सभक टीम अहॉंक फाइल सभक विश्लेषण मे मदति करत आ अहॉं सँ क्वोट संग संपर्क करत जहि मे अहॉं द्वारा अनुरोध कएल गेल सेवा आओर डीटीपीक खर्च शामिल होयत अछि।

ध्यान दिअ* ई सभ मे बदलाव भ’ सकैत अछि जे पृष्ठक संख्या, स्रोत फाइलक गुणवत्ता आ आवश्यक डिलेवरी टर्नअराउंड पर निर्भर करै अछि।

ट्रांसक्रिप्शन

लिंगो चैप्स कईक तरहक ट्रांसक्रिप्शन सेवा उपलब्ध करै छथि। एहि मे शामिल अछि:
  • मेडिकल ट्रांसक्रिप्शन
  • कानूनी ट्रांसक्रिप्शन
  • वित्तीय ट्रांसक्रिप्शन
  • प्रसारण ट्रांसक्रिप्शन

लोकलाइजेशन

लिंगो चैप्स अपन ग्राहक सभ कें निम्न लोकलाइजेशन सेवाक पेशकश करै अछि:
  • सॉफ्टवेयरक लोकलाइजेशन
  • वेबसाइटक लोकलाइजेशन

वॉयस संबंधित सेवा

अहॉंक सोच कें हमरा सभक आवाज! हमरा सभ अपन ग्राहक कें निम्न वॉयस सँ संबंधित सेवा प्रदान करैत छी:
  • वॉयस-ओवर सेवा
  • डबिंग
  • सबटाइटलिंग आओर कैपशनिंग

शीर्ष अग्रणी कंपनी सभ द्वारा भरोसा कएल गेल

尚巴维·斯里瓦斯塔瓦

अत्यंत नीक आ समय पर। मात्र किछु घंटा मे हमर काज कें बेसी आसान करबाक लेल धन्यवाद। संगहि जिम्मेदार और स्वागत करए वला लोक छथि।

N.K.巴蒂亚

नीक प्रस्तुत करए योग्य प्रमाणित फॉरमेट मे बहुत नीक सेवा, प्रखर प्रत्युत्तर, सटीक आ यथार्थ काज! धन्यवाद आ टीम कें लेल शुभकामना

维巴耶夫·辛格

नीक ग्राहक सेवाक संग काज बहुत पेशेवर अछि, दिक्कत कें न्यूनतम करबा मे ओ सभ अहॉंक मदति करत। हुनका संग जरूर काज करी

संपर्क करी

कृपा कए शीघ्र फॉर्म कें भरी आ हमरा सभ यथाशीघ्र अहॉं सँ संपर्क करब।
[contact-form-7 id="14"]

We use cookies to give you the best experience. Cookie Policy